23/05/2026
*गंगा दशहरा*
दस प्रकारक उत्तम योग आ दस तरह के पाप जे हैरि लै ओ तिथि अछि 'गंगा दशहरा"
*पारुष्यमनृतश्चैव पैशुन्यं चापि सर्वतः ।*
*असम्बद्धप्रलापञ्च वाङ्मयं स्याच्चतुर्विधम् ।।*
*अदत्तानामुपादानं हिंसा चैवाविधानतः ।*
*परदारोपसेवा च कायिकं त्रिविधम्मतम् ।।*
*परद्रव्येष्वभिध्यानं मनसानिष्टचिन्तनम् ।*
*वितथाभिनिवेशश्च मानसं त्रिविधं स्मृतम् ॥*
*गंगादशहरा, 26मई2026, मंगलदिन गंगा स्नान, पूजन, आराधना, कीर्तन, स्मरण केला स कायिक, वाचिक आ मानसिक जे दस प्रकारक पाप 👇*
कठोर वचन ,असत्य वचन , सभ ठाम चुगलखोरी , बेतुक बकझक , इ चारिटा वाचिक पाप कहाइत अछि ।
बिना देल ककरो वस्तुक हरपि लेनाइ , बिना कोनो प्रयोजनक हिंसा , परस्त्री पर आशक्त भेनाइ , इ तीनटा कायिक पाप कहाइत अछि ।
अनकर धन प्राप्तिक प्रबल इच्छा केनाइ , मनसँ दोसरक अनिष्ट सोचनाइ आ मिथ्या कृतसंकल्प इ तीनटा मानसिक पाप कहाइत अछि ।
सभ मिलाकर दश प्रकारक पाप कहल।
https://www.facebook.com/ptsitaramjha/
*अस्यामेव सेतुबन्धे रामेश्वरदर्शनम् अस्यां स्थापितत्वात् ।।*
एहि गंगा दशहरा मे सेतु बान्ध आ रामेश्वर के दर्शन विशेष लाभप्रद अछि । एहि दशहरा मे रामेश्वरम् क स्थापना कएल गेल । एहि दशहरा मे महादेव लिङ्ग रूपधारण कएने छलाह , सर्वोत्कृष्ट शिवलिङ्ग क स्थापना श्रीराम एहि दिन केएने छलथि।
संकलन कर्ता :- सीता राम झा 9711114647,
मैथिल परम्परानुसार सभप्रकारक धार्मिक कार्य , जिज्ञासा /प्रश्न लेल सम्पर्क करी।
सेतु बाँध रामेश्वरक महात्म्यक प्रसंग "स्कन्द पुराण" में लिखल अछि-
*ज्येष्ठे मासे सिते पक्षे दशम्यां बुधहस्तयोः ।*
*गरानन्दे व्यतीपाते कन्याचन्द्र वृषे रवौ॥*
*दशयोगे सेतुमध्ये लिंग रूपधरम् हरम् ।*
*रामो वै स्थापयामास शिवलिंगमनुत्तमम्" ॥*
उपर्युक्त दश तरहक योग में रामचन्द्र सर्वोत्कृष्ट शिवलिंगक स्थापना कएलन्हि ।
एहि तिथि मे दश तरहक उत्तम योग :-
*जेठमास, शुक्लपक्ष, दशमी तिथि, उत्तम दिन, हस्त नक्षत्र, गरकरण, आनन्दयोग, व्यतीपात योग, कन्या राशिक चन्द्र, वृष राशिक सूर्य,*
एहि दशो तरहक योग में रामचन्द्र रामेश्वर महादेवक स्थापना कएलन्हि, अतः एकर नाम "दशहरा" भेल।
🙏🏼🙏🏼🙏🙏🙏🙏
🙏🙏🙏🙏